Pages

Tuesday, September 4, 2012

अन्तिम क्षणमे- रवि मिश्र “भारद्वाज”,


रवि मिश्रभारद्वाज, पिता श्री पशुपति मिश्र, गाम- ननौर, जिला- मधुबनी।
     अन्तिम क्षणमे
काल्हि किछु काल असगरेमे
हम केलौं अपनासँ किछु बात
पुछलौं अपनासँ बिना मतलबक
की ककरो तोहर छौ आस
कियो नै भेटल जे चाहितै, सुनितै
हमरासँ हमरा भाव-विभोर कऽ,
चाहलक तँ सभ कियो हमरा,
मुदा नै देखलक हमर आँखिक नोरकेँ
बेचैन भऽ कऽ कानए लागल
हमरेपर जखन हमर आँखि
हँसि कऽ लोक हमरा देखऽ लागल
ऐ उमरोमे एना
कि कियो देखावा कऽ सकै छै
हँसऽ लगलौं हमहूँ हुनका देखि कऽ
दुख अपन हँसीमे नुका कऽ

No comments:

Post a Comment