Pages

Showing posts with label सुमित आनन्द. Show all posts
Showing posts with label सुमित आनन्द. Show all posts

Tuesday, April 10, 2012

सुमित आनन्द - जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!



ट्रेनमे लाइन, बसमे लाइन
सिनेमाक हॉलमे लाइन
गैसक गोदाममे लाइन
राशनक दोकानमे लाइन
सभसँ बड़का सैलूनमे लाइन!
जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!

स्कूलमे लाइन कॉलेजमे लाइन
डॉक्टरमे लाइन आ वकीलमे लाइन
अस्पताल आ कोर्टमे लाइन
सभसँ बड़का सर्कसमे लाइन!
जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!

चाहमे लाइन, पानमे लाइन
पैखानामे लाइन आ पेशाबमे लाइन
होटलमे लाइन, बोतलमे लाइन
सभसँ बड़का पानिमे लाइन!
जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!

मन्दिरमे लाइन, मस्जिदमे लाइन
योगीमे लाइन आ भोगीमे लाइन
जोतखीमे लाइन, पंडितमे लाइन
सभसँ बड़का शमसानमे लाइन!
जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!

नेतामे लाइन, अभिनेतामे लाइन
खेलमे लाइन आ जेलमे लाइन
ऑफिस आ आवासमे लाइन
सभसँ बड़का सर्विसमे लाइन!
जेम्हरे देखू तेम्हरे लाइन!!