Pages

Showing posts with label प्रभात राय भट्ट. Show all posts
Showing posts with label प्रभात राय भट्ट. Show all posts

Tuesday, September 4, 2012

जन्म लेलौं हम जतए सीता माएक अछि गाम- प्रभात राय भट्ट


प्रभात राय भट्ट, पिता श्री गंगेश्वर राय, माता श्रीमती गायत्री देवी, गाम-धिरापुर, महोतरी, अस्थाइ बसोबास-जनकपुरधाम, नेपाल।
जन्म लेलौं हम जत सीता माएक अछि गाम
जन्म लेलौं हम जत सीता माएक अछि गाम
माए गै हमरा एतेक बता दे की अछि हमर नाम
कि कहै हमरा सीसी बोतल आर बिहारी धोती
आफद भगेल खाएमे हमरा अपने देशमे दू छाक रोटी
अपने देश बुझाइए परदेश शासक बुझै हमरा विदेशी
नै छौ तोहर कोनो नागरिक अधिकार तू भेले मधेसी
भूख स मोन छटपट करै भेटए नै किछु आहार
दया धर्म इमान नै छै शासकके कि करै तिरस्कार
की हमर राष्ट्र नै अछि? या हम सुकुम्बासी छी?
बौआ हमर नुनु यौ कान खोइल क दुनू सुनू यौ
अहाँ छी मधेशक धरतीपुत्र हम अहाँक मधेस माए
निठुर शासक के हाथ बन्धकी परलछि देलौं सभ किछु गमाए
तन मन धन स लुटक आब करै खून पसीना शोषण
आशा केर दीपअहि अछि हमर वीरपुत्र करू मधेस रोशन
मधेसमे जन्म लेली जे कियो, फर्ज तेकरा निभाबऽ ड़
नेपालस मधेस माएके मुक्त कराबड़
सुन्दर शांत स्वतंत्र एक मधेस एक परदेश बनाबड़
मंगला   भेटल नै आब छीन  लेब ड़
लड़ ड़ आजादीक लड़ा देब ड़ बलिदान
तखने भेटत मान समान  बनत मधेस महान