Pages

Showing posts with label अयोध्या नाथ चौधरी. Show all posts
Showing posts with label अयोध्या नाथ चौधरी. Show all posts

Tuesday, April 10, 2012

अयोध्या नाथ चौधरी - एक परिवोधन आ शेष कविता



एक मुट्टी अखरा बालु फँकबाक बाध्यता जतबे छोट भऽ सकैछ,
ततबे विराट आ डूबल अछि हमरा घरमे एकएकटा सीताक आक्रोश,
आब बुझल जे सीता माने कोन दुःख ।

एकटा दृष्टान्त
आ आओर किछु नहि
मात्र एकटा निर्मम दृष्टान्त
चाहिए कऽ एहि लोककेँ, समाजकेँ
ओहि एकटाक पाछाँ सहस्त्रो  कत्ले आम होइत रहै निर्विध्नक....

जीह नहि टकसैत छैक एखनि ।
एकटा दूरन्ति परम्परा किंबा रीति सहैत,
बकार बन्न केने छी हमअहाँ आ सभ
अयाची हड्डी लुटौलनिहेँ, सेहो ठीक
एकाएकी घाब बनाओल जाइत अंग अंगकेँ निर्निमेष तकैत रहू

तखनि, सभटा ठीकेठीके
समाज चाहैए जे ओकरामे रहनिहार लोथ भऽ जाए
ओकर एक एकटा प्राणी बीत राग बनल रहए आजीव,
आ संघर्ष करैत रहए अपना गराक घेघसँ ।

अहाँ अपनाकें अपने परिबोधि लिअ एहिना
कतेक छोटछीन जीवन सामान्य रुपेँ बितैतबितैत      
कौखन मनोरंजन हेतु आ कौखन अज्ञात, अनचेकामे
कतेक कीड़ाफतिंगा पोसि वा पीचि देल जाइछ ।
सरिपहुँ तन्नुक अइ ई जीब । लजबिज्जी ।

कोनो ने,
ई सब कोनो बात छैक,
एतेक निश्चय राखू जे परिबोधि नहि रहल छी हम अहाँकेँ,
किएक तँ अहाँ आरो भयाक्रान्त कऽ देब
अहूँ सएह कहैत छी कहि ।
एतबे बुझि राखू जहियासँ अहाँ दृष्टान्ते बनल छी
हमरा अहाँसँ सहानुभूति अछि ।

मनुक्खक पीड़ासँ मनुक्खक सहानुभुति होइ
ककरो दूटा आँखि पनिछा जाइ
एहिसँ पैघ जीवनक कोन उपलब्धि भऽ सकैछ ?

हम किछुटा नहि कहब ।
आत्म हत्या दूबेर प्रायः नहि भऽ सकैछ ,
ई तँ महज मामुली बोध थीक
ओना अहाँक कोनो बिकल्प हमरा नीक लागत ।

जखन जीवन माने तनुक
तँ की हर्ज एकटा द्दृष्टान्ति बनल रही ?
ओना हम पुछबाक व्याज मात्र करैत छी ।

अयोध्या नाथ चौधरी - एक भुम जोड़ एक सत्य। बराबर दू क्षण



कौखन हमरा सभक मौन आक्रामक बनि जाइछ
आ विवेक सहजहि कोनो खिड़कि दऽ उड़िया गेल रहैछ तावत धरि
किछु निराश क्षणक प्रतीक्षा फेर ओकरा बजा लैछ
आ तावते ओकर कायाकल्प भऽ जाइछ
सभ मनुपुत्र मोम भऽ जाइत छथि एकदू क्षणक जिनगीमे ।

कहियो चौंकल अछि अहाँक दुनू तरहत्थी?
आ तदुपरान्त किताब बनाकऽ पढ़लहुँ अछि ओकरा ः
तहिए गिरह बान्हि गेल हमर बातक
निर्जीब भेल आँखिकेँ निहारैत रहि जाएब अहाँ
पलक टोटो कऽ फुसियाही आवेश करैत ।
मोनेमोने गुनैत  ।।

एक क्षण बाद
हाथ अपनाकेँ समेटि कऽ अहाँक माथपर चढ़िकऽ बाजत नियामकसँ
चकित छी अहाँक दुष्ट व्यवहारपर
आ ओ ओहि एक दिन सभसँ बजै छथि
भ्रम आ प्रवंचनाक कथा सएह पुछलक अछि की?
केहन टाँट सत्यक राखि देलियह अछि सोझामे
एकोबेर चुमि लैह टाँट भेल गर्दनि, आ माथ, आ मुँह
एहिना बुझबहक की
जीबैत मुस्किआइत गुलाबमे कांट ने होइछ किदन ।

करन्तमे गछारल अहाँक हीरक, मुक्ता, रुपरानी वा जे किछु
ठीके बड़ कोमल आ सुन्दर अइ
मुदा ततबे सत्य  छैक विधान आ परम्परा
ततबे कटु आ अनिवार्य ।
उधियाइत विवेककें गछारिकऽ


मनुपुत्र सुखी भऽ पाएब निर्बिवाद ।
दुष्टता, भ्रम, प्रवंचना
आ एकरा सभक संज्ञामात्र
उधियाइत कोनो गैस थिक ।