Pages

Showing posts with label पवन कुमार साह. Show all posts
Showing posts with label पवन कुमार साह. Show all posts

Tuesday, September 4, 2012

प्रेम- पवन कुमार साह,


पवन कुमार साह, जन्‍म– ०२.०२.१९८७, पि‍ता- श्री वासुदेव साह, गाम- खाप, पोस्‍ट- अन्‍धारवन (वासुदेवपुर), थाना- लाैकहा, जि‍ला- मधुबनी, (बि‍हार)शि‍क्षा- एम.ए. (अंग्रजी), एल.एम.एन.यू, दरभंगा
प्रेम
की पाप छल प्रेम हमर
की गुनाह छल प्रेम हमर
लगि‍ गेल कि‍ए एकरा एहेन नजरि‍
की पाप छल प्रेम.....
 जौं प्रेम पाप छी तँ
ई पाप हम करबे करब
कि‍यो मि‍लए ने दि‍अए चाहैए हमरा
मुदा हम ओकरासँ मि‍लबे करब
सभ कि‍छु ओकरा लेल मेटा गेल हमर
की पाप छल प्रेम......
सुनि‍ लि‍अ यौ प्रेमक दुश्‍मन
मि‍लैसँ हमरा नै रोकू
कऽ देलौं ओकरे न जीवन
हमरा आब कि‍यो ने टोकू
व्‍यर्थ भेल जि‍नाइ जि‍नगी हमर
की पाप छल प्रेम.....