Pages

Showing posts with label चन्दन कुमार झा. Show all posts
Showing posts with label चन्दन कुमार झा. Show all posts

Tuesday, September 4, 2012

गजल - चन्दन कुमार झा

चन्दन कुमार झा, मोनक बात (गजल, हजल,बाल गजल, रुबाइ आ कताक संकलन) प्रकाशित।

गजल
मोनक बात मोनहि मे रखैत छी
चुप्पी लाधि हम जिनगी कटैत छी

चकमक जगत, लागल चौन्ह लोककेँ
घर अन्हार चैनक निन सुतैत छी

झूठक लेल आमिल लोक छै पिने
हम सत्तो जनेबा ले कुथैत छै पिने

बेचल खेत-डाबर-डीह गुजर ले
तैयो केस कित्ता दस लड़ैत छी

जुन्ना जड़ल ऐंठन एखनो बचल
"चंदन" बोल तै ऐंठल बजैत छी
२२२१ २२२१ २१२