Pages

Showing posts with label वौएलाल साह. Show all posts
Showing posts with label वौएलाल साह. Show all posts

Tuesday, April 10, 2012

वौएलाल साह - मधेशक आवाज



मँा जानकीसँ कामना करै छी, शहीद सबहक चिर शान्तिक लेल
बढ़ू मधेशी आगाँ बढ़ू मधेशक अधिकार प्राप्ति लेल
युवा, विद्यार्थी आंदोलन करु, मधेशक अधिकार प्राप्ति लेल,
एहि आंदोलनमे नै लड़लौं, तँ भाग्य बुझु जे फुटीए गेल
व्यापारी, कर्मचारी सेहो लड़ू, अपन भविष्य बचाबऽ लेल
काम-काज छोड़ि आन्दो़लन करु, हजुरी प्रथा छोराबै लेल
मधेशी शहीद पुकारि रहल छै, मधेशक अधिकार प्राप्ति लेल
शहीदक सपना पुरा करु, मिटा दिअ शासकक खेल
ई नेपालकेँ छै बाँटल, हिमाल, पहाड़, तराइ तँ कैला
एहि मधेशीकेँ मधेशबाँटऽ मे छै पूरे उरीए गेल
हिमाल, पहाड़, तराइ तँ कैला छुटियौलनि, मधेश शासकक जेबीमे गेल
जागु मधेशी जेबी फारु, अपन मधेश पाबैके लेल,
मधेश, तराइक वोट लऽ कऽ शासक सभ आगाँ बढ़ि गेल।
तराइ, मधेशी लड़ि रहल अइ, देखु केहन शासकक खेल
पानिसँ ठंढ़ा आगिसँ गरम, ईएह आब आंदोलनक गति छै भेल,
मधेशी आयोग कायम हो, एहि शासक वर्ग सबहक लेल