Pages

Showing posts with label सद्रे आलम गौहर. Show all posts
Showing posts with label सद्रे आलम गौहर. Show all posts

Tuesday, September 4, 2012

गजल- सद्रे आलम गौहर



सद्रे आलम गौहर, गाम-पुरसौलिया, भाया- जयनगर, जिला मधुबनी। मैथिली गजल लेल गजल-कमला-कोसी-बागमती-महानन्दा सम्मान २०११ प्राप्त।


जे घुसखोरी भागत
बहुत नीक लागत

लगेने रहू एहिना
अन्ना जी तागत

जे सभ आगू अउता
करै छिअनि स्वागत

ईमनदार नेता
के बूझू नियामत

सफलता जँ पायब
तँ विश्वास जागत

समर्थन दियौ ऐमे
नहि कानो लागत

भष्टाचार कऽ देत
भारत केँ गारत

देशवासी बढ़बियौन
अन्नाजीक तागत