Pages

Tuesday, September 4, 2012

डॉ. शि‍व कुमार प्रसाद- ि‍नर्मलीक ि‍नर्मलतामे



डॉ. शि‍व कुमार प्रसाद, वरीय व्याख्याता, हि‍न्दी वि‍भाग, ि‍नर्मली काॅलेज, ि‍नर्मली।जन्म‍- १२.११.१९५६, गाम+पोस्ट- सि‍मरा, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी, (बि‍हार)।

ि‍नर्मलीक ि‍नर्मलतामे
ि‍नर्मलीक ि‍नर्मलतामे
मनक मलाल सभ मेटा रहल अछि‍।
शि‍क्षाक ऐ महापंकमे
गामक जि‍नगी लेटा रहल अछि‍।
कैंचा-पैसा जोरि‍-जोरि‍ कऽ
माए-बाप सभ पठा रहल अछि‍।
कोचि‍ंग, वि‍द्यालय, कओलेजमे
एक-एक जन आइ लुटा रहल अछि‍।
गामक जि‍नगी..............।

के पठाओत ककरा लग जा कऽ
नेना भुटका पढ़ि‍ रहल अछि‍।
नै सुधि‍ बुइध केकरो छैक
अपने झंझट ओझराएल अछि‍।
गामक जि‍नगी....।
दौगैत-दौगैत चटि‍या सभटा
पढ़बैत-पढ़बैत बड़का सर सभ
अपन-अपन भाँजमे सभ कोइ
डोढ़ि‍ छुबए लेल अपसि‍याँत अछि‍।
गामक जि‍नगी लेटा रहल अछि‍।
मनक मलाल सभ मेटा रहल अछि‍।


No comments:

Post a Comment