Pages

Tuesday, September 4, 2012

बेटी- प्रीति‍ प्रि‍या झा


प्रीति‍ प्रि‍या झा, पि‍ता- श्री वि‍जय चन्‍द्र झा, माता- श्रीमति सीमू झा, न्म ति‍थि‍- ०१.०३.१९९४, सम्‍प्रति‍- छात्रा कथा १२, केन्‍द्रीय वि‍द्यालय टाटा नगर, आवासीय पता- गोलपहाड़ी मेन रोड, गायत्री मंदि‍रक नि‍कट, जमशेदपुर, पैतृक गाम- धनखोरि‍, फुलपरास, मधुबनी मातृक-  घोघरडीहा, मधुबनी
बेटी
जन्‍मकाल, आमक मज्‍जर
खुशीक पेटार
घरक लक्ष्‍मी बेटी
मुदा मंचेटा पर
सभ कहै छइ बेटी-बेटा एक समान
तँ कि‍अए दुख मनबैत छी
कन्‍याक जन्‍मपर
कि‍अए नै जन्‍माल जाइ छइ बेटी
एकटा पुत्रक आशामे
सात-सात बेटी
ककरो तनपर साफ वस्‍त्र नै
मुदा एकटा बेटा-
वएह- बौआ, बाबू, सुग्‍गा-नूनू
दोष ककरा देल जाए?
सबहक मति‍मे पुत्रमोह, ति‍लकक लोभ
ककरो मति‍ तँ बदलल नै जा सकैछ
बाप बेपारी आ बेटा वस्‍तु बनि‍
बजारमे पसरल अछि‍
बि‍कबाक लेल तैयार
चाम-मोट मुदा दाम चमनगर
जखन बेटीक बाप- तखन कनैत छी
मुदा! जखन बालकक पि‍ता
तँ भगवानक समान आदर चाही
बेटी सभ मारल जाइ छै
नीके हएत, बेटी खतम भऽ जाएत
रहि‍ जेता सभटा बालक कुमारे
प्रकृति‍केँ चुनौती दि‍अ?
वाह आर्यावर्तक पूत!! 
    

No comments:

Post a Comment