Pages

Tuesday, April 10, 2012

अशोक दत्त - बाल गीत



छुनमुन-छुनमुन बौवा हम्मर
फुदकैत फुद्दी जेकाँ रहैए
कखनो मुस्की कखनो मटकी
कखनो दि‍दीकेँ चुप्पी कहैए, छुनमुन. . . . .
खुब हिलसगर बौवाक गात
चुन-चुन बजैए सभ बात
मिसरी सनकेँ बोली सूनि-सूनि
मोन जुड़ाइए मोन जुड़ाइए, छुनमुन. . . . .
थाहि-थाहि कऽ उठबए धाप
रूनझुन बाजए पायलक चाँप
कारी लट जे घूरमल-घूरमल
गोर गालकेँ चूमल करैए, छुनमुन. . . . . .
गोल-गोल पुआ सन गाल
चान जेकाँ चम्कै-ए भाल
हिरणी सनकेँ नयनक पुतली
सभक मनकेँ मोहल करैए, छुनमुन. . . . .
हाथमे धऽ कऽ हम्मर हाथ
स्कूल जएतै रटतै पाठ
हमरे सनकेँ बौवा हम्मर
हाथसँ कलम धरल करैए, छुनमुन. . . . .

No comments:

Post a Comment