Pages

Tuesday, April 10, 2012

कीर्तिनारायण मिश्र - अकाल




सड़कपर हड्डी चिबबैत
छौंड़ा सभ
कुकूर आ पुलिसकेँ
डण्डा देखा रहल अछि
ऐंठल अंतड़ी वाली जनता
भूख-हड़तालक धमकी दऽ रहल अछि।
बाँझ सरकार
विदेशक आश्वासनसँ
विवाह रचा रहल अछि
लूपलागल धरती
तथा निवीर्य्य अकाशक बीचमे
देशक नपुंसकता जोरसँ दहड़ि मारि रहलि अछि।
आ समय एहि सभसँ असम्पृक्त्त
नशामे मातल
मैदानमे जा कए सूति रहल अछि।

No comments:

Post a Comment