Pages

Tuesday, April 10, 2012

महाकान्त ठाकुर- उदारीकरण



हाथमे कटोरी ऐ
मौनी चंगेरी चंगेरा ऐ
विश्वबैंक संग
अमेरिका मुसिआइए
भूतपूर्व जगत गुरु
थोड़बो ने लजाइए।
आर माँगू आर माँगू
जे जे फूड़ाइए।
जी आठ देशक तिजौरी
फूजल ऐ
लीअ उधार
बीकए दियौ नालको बालको
बैंक बीमा कंपनी
गैस तेल भंडार
नदी पुल पहाड़
साकिन होबए धरि
खाइत रहू उधार।
हरीशचन्द्रक वंशजकेँ
राज पाट घुमा देत महाधिपति अमेरिका
स्टार वारक बाद।

No comments:

Post a Comment