Pages

Tuesday, April 10, 2012

रघुनाथ मुखिया - अनुत्तरित प्रश्न



सहोदर अर्णवानन्द आ प्रणवानन्दक मघ्य बैसलि
हमर अपूर्णे त्रिवेर्षे तनया
मैथिली एकलव्या
स्वतंत्रता संग्रामक इतिहास
उलटेबामे मग्न भेल
गांधी, तिलक, लोहिया, सुभाषक
फोटो सभपर तर्जनी राखि
पुछैत गेलि
पप्पा ई के छिऐ?
हम कहैत गेलौं- बबा!
फेर पन्ना उनटि गेल
आब मैथिलीक समक्ष
भेल रहै जनरल ओडारक
ओ विकराल चित्र
जकरा देखितहि हमरा
यादि पड़ि गेल छल
देबालसँ घेरल मैदानक
एक मात्र निकास द्वारपर सँ
निहत्थापर तोपसँ चलाओल गेल १४५० राउण्ड गोली
तावत मैथिली
अपन तनल भृकुटी संग
प्रश्न दागि देलक
पप्पा ई के हेतै ?
आ हम अबाक
एहि बेर ई नहि कहि सकलहुँ जे
इहो तोहर बब्बे हेतऽ।
हम सकदम्मे रही
मुदा मैथिली हमरासँ आँखि भिरेने
तावत मैथिलीक नजरि
घरमे दंड खिचैत मूसरीपर पड़ि गेल
फँसल पन्नो उलटि गेल
प्रश्नो बदलि गेल
आ हमरो पिण्ड छुटल
नेनाक अनुत्तरित प्रश्नसँ

No comments:

Post a Comment